पटना। मिथिला मे होलिका दहन कए सम्मत कहल जाइत अछि। आइ पूरा देश मे होलिका दहन होएत। मुदा जाहि ठाम होलिका क दहन भेल अछि आ हुनकर समाधि अछि ओ स्थान क बारे मे लोक कए कम बुझल अछि। पूर्णिया जिला क बनमनखी प्रखंड क सिकलीगढ़ मे एखनो ओ स्थान विराजमान अछि जतए होलिका प्रहलाद कए अपन गोद मे लकए चिता पर बैसल छलीह आ भगवान नरसिंह क कारण प्रहलाद त बचि गेलाह मुदा होलिका क दाह भ गेल। पौराणिक कथा आओर किंवदंति क मुताबिक हिरण्यकश्यप क किला मे भक्त प्रहलाद क रक्षा क लेल एकटा खम्भा स भगवान नरसिंह क अवतार भेल छल। भगवान नरसिंह क अवतार स जुड़ल खम्भा (माणिक्य स्तम्भ) क एकटा छोट सन भाग एखनो एहि ठाम मौजूद अछि।