मैथिली चुटकुला – युद्ध केना शुरू होई छै?

मजेदार मैथिली चुटकुला – युद्ध केना शुरू होई छै?

रवीन्द्र भाई के बेटा रजनीश भाई सं : बाबू जी, युद्ध केना शुरू होई छै?

रवीन्द्र भाई (बेटा सं) : मानि लिय इंग्लैंड आ अमेरिका में कोनों बात पर मतभेद भ गेलै…

रवीन्द्र भाई के कनियाँ : लेकिन इंग्लैंड आ अमेरिका में मतभेद भईये नइ सकै छै।

रवीन्द्र भाई (कनियाँ सं) : हम त खाली उदाहरण द रहल छियइ।

रवीन्द्र भाई के कनियाँ : लेकिन अहाँ गलत उदाहरण द क बच्चा के बहका रहल छियई।

रवीन्द्र भाई (कनियाँ सं) : नइ, हम नइ बहका रहल छियई…

रवीन्द्र भाई के कनियाँ (जोर सं) : ई बहकेनाई नइ छै त की छै?

रवीन्द्र भाई (जोर सं) : अहाँ चुप रहू, हम नइ बहका रहल छियई, मतलब नइ बहका रहल छियई।

रवीन्द्र भाई के कनियाँ (आर जोर सं) : हम कियैक चुप रहू? ई हमर बच्चा के पढ़ाई के सवाल अइ, आइ अहाँ इ बाजि रहल छी… काल्हि किछु आर गलत बाजब…रवीन्द्र भाई के बेटा : (जोर सं) चुप रहू अहाँ सभ.. अहाँ सभ झगड़ा नहिं करू. हमरा पता लागि गेल युद्ध केना शुरू होई छै

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here